हाईवे पर गाड़ी लूटय वला गिरोह हथियारक संग गिरफ्तार

    0
    289

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर सं पुलिस अंतरजिला वाहन लुटेरा गिरोहक तीन सदस्य के हथियारक संग गिरफ्तार केलक अछि। ई गिरफ्तारी पुलिस करजा थाना इलाका के मड़वन स केलक अछि। गिरफ्तार अपराधिक् संग स पुलिस तीन टा देशी कट्टा, नौ टा कारतूस, तीन किलो गांजा आ लूटल गेल एकटा बोलेरो गाड़ी बरामद केलक अछि।

    बरामद बोलेरो 19 जनवरीक राति कुढनी थानाक मधौल गामक समीप मुजफ्फरपुर पटना मार्ग एन एच-77 सं लूटल गेल छल। गिरफ्तार अपराधी शशिभूषण मिश्रा सीतामढीक रहय वला बताओल जा रहल अछि, जहन कि मोहम्मद निजाम मनियारी आ खुर्शीद आलम कांटी थानाक कपरपुरा गामक बताओल जा रहल अछि।

    पकड़ल गेल युवक पेशेवर अपराधी अछि आ पुलिसक के पूर्वक बहुतो वारदात मे एकर सबहक तलाश छल, एसएसपी विवेक कुमार के अनुसार अहि गिरोहक छह टा अपराधी पहिने सं जेल मे अछि। गिरोहक बचल अपराधिक तलाश जारी अछि।