मधुबनीक अहि विद्यालय मे रौद मे चलैत अछि क्लास

    0
    241

    मधुबनी जिलाक झंझारपुर प्रखंड के सुखेत पंचायत स्थित प्राथमिक विद्यालय, जतय पिछला आठ वर्ष स बच्चा के रूम नहि भेटल। विद्यालय आसमानक नीचां मे चलि रहल अछि आ बरसात मे महीनो धरि स्कूल बंद रहैत अछि।अहि विद्यालय मे अधिकांशतः महादलित छात्र-छात्रा पढ़ैत अछि। अहि प्राथमिक विद्यालय मे कक्षा एक स पांच तक के पढ़ाई होईत अछि। शिक्षक एक्के संग वर्ग एक स पांच तक के बच्चा के बैसा क पढ़बैत छथि। अहि विद्यालय मे सरकार द्वारा चलाओल जा रहल मध्याह्न भोजन, पोषाक राशि इत्यादि कोनो योजनाक लाभ छात्र के नहि भेटैत अछि।

    विद्यालय के प्रधान शिक्षिका के कहब छन्हि जे, अहि विद्यालय के पास जमीन नहि अछि ताहि कारने पोखरिक महार पर स्कूल चलैत अछि। ओतहि ग्रामीण के कहब छन्हि जे, साल मे चारि महिना विद्यालय बंद रहैत अछि। भवन के आभाव मे पढ़ाई बिलकुल नहि होइत अछि, जाहि सं गामक बच्चाक भविष्य अन्धकार में डूबल जा रहल अछि।