भाजपा सं निलंबित जितेंद्र स्वामी के अपहरण आ हत्या’क मामला मे उम्र कैदक सजा

    0
    289

    सीवान, मिथिला मिरर: बिहार के चर्चित भरत सिंह अपहरण आ हत्या मामला मे सीवान न्यायालय भाजपा सं निष्कासित नेता जितेंद्र स्वामी के आजीवन कारावासक सजा सुनेलक अछि। सोमदिन सुनाओल गेल सजा के बाद जितेंद्र स्वामी के जेल भेज देल गेल। करीब 16 वर्ष पुरान अहि मामला मे न्यायालय के फैसला सुनबाक लेल आय भोरे सं सीवान व्यवहार न्यायलय परिसर मे लोकक भारी जुटान छल।

    दोसर पहर मे कड़ी सुरक्षाक बीच जितेंद्र स्वामी के न्यायालय आनल गेल। जकरा बाद एडीजे ई फैसला सुनौलनि। गौरतलब अछि जे, जितेंद्र स्वामी महाराजगंज के पूर्व सांसद स्व उमाशंकर सिंह के पुत्र छथि।उमाशंकर सिंह आ जितेंद्र स्वामी दूनू पर 2000 ई. मे विधान सभा चुनावक दौरान महाराजगंज मे विधानसभा चुनाव के प्रत्याशी दामोदर सिंह’क भाई भरत सिंह’क अपहरण कय हत्याक आरोप छल।

    11 अगस्त क सीवान व्यवहार न्यायलय के एडीजे द्वितीय अवधेश कुमार दुबे के अदालत मे जितेंद्र के दोषी करार देल गेल छल, जकरा बाद भाजपा जितेंद्र के पार्टी सं निष्कासित कय देने छल।