मुंगेरीलाल केँ हसीन सपना देखि रहल अछि विपक्ष, एनडीए गठबंधन मे नहि अछि कोनो मतभेद – रामकृपाल यादव

0
700

मुंगेर, मिथिला मिरर : बिहार मे अखनि चुनावी हलचल बढ़ी चुकल अछि। राजनीतिक आरोप-प्रत्यारोप सेहो शुरू अछि। राज्यक दुनू प्रमुख गठबंधन अपना हिसाबे ताल ठोकी रहल अछि। जेना-जेना समय नजदिक आओत राजनीतिक बयानबाजी सेहो तेज होयत। जदयू सांसद आ पार्टीक वरिष्ठ नेता ललन सिंह केँ चुनाव क्षेत्र पर हरेक पार्टी केँ नजरि छैक। तकर पाछू कारण अछि जे अखनि ललन सिंह मुख्यमंत्री केँ बेहद करीबी छथि आ लगातार पार्टी केँ कुनबा बढ़ा रहल छथि।

हरेक राजनीतक दल विधानसभा चुनाव केँ ल’ जनसंपर्क मे जुटी गेल अछि। एही कड़ी मे बिहार भाजपा केँ नेता आ सांसद रामकृपाल यादव सेहो जनसंपर्क अभियान केँ तहत मुंगेर मे छलाह। मुंगेर विधानसभा केँ दर्जनों गामक दौरा कएलाक बाद मीडिया सँ बात करैत कहलाह जे विपक्ष मुंगेरीलाल केँ हसीन सपना देखि रहल अछि। राजग मे कोनो तरहक भ्रम नहि अछि। कोनो घटक दलक बीच मतभेद नै छैक। एनडीए छोड़ी क’ कोनो दल बाहर नहि जा रहल अछि। राजद द्वारा लोजपा के देल गेल प्रलोभन कोनो काज नही आओल।

महागठबंधन पर कटाक्ष करैत कहलाह जिनका सँ अपन घर नै सम्हारल जाइत छनि ओ प्रदेश की सम्हारता। महागठबंधन केँ सहयोगी दल कोन दिन छोड़ी क’ भागी जायत कोनो ठेकान नै। पहिने अपन घटक दल केँ त’ सम्हारी लैथ। एही चुनाव मे एनडीए दू तिहाई सँ बेसी सीट पर जीत दर्ज करत आ एकबेर फेर सँ सरकार बनाओत।  एकबेर फेर बात केँ दोहराबैत बजलाह जे बिहार मे वैह शासन क’ सकैत अछि जे मोदीजी संग मिल क’ काज करत। एनडीए पूर्ण तरहें एकजुट अछि आ बिहार विधानसभा चुनाव मे हम सभ पूरा मजबूती आ एकजुटताक संग चुनावी मैदान मे छी। सांसद कहलनि जे आगामी विधानसभा चुनाव मे जनता फेर पार्टी केँ मौका देत आ बिहार मे आओर विकासक काज करब।