यूपीए उम्मीदवार मनोज झा केँ हरा दोबारा राज्यसभाक उपसभापति बनलाह हरिवंश

0
857

दिल्ली, मिथिला मिरर : देश मे कोरोना संकट चलि रहल अछि। कोरोना काल मे सोमदिन सँ संसद केँ मानसून सत्र सेहो शुरू भ’ गेल। पहिने भोर नौ बजे सँ लोकसभाक कार्रवाई शुरू भेल, फेर बेरुपहर तीन बजे सँ राज्यसभाक कार्रवाई प्रारंभ भेल। राज्यसभाक सभापति वेंकैया नायडू सभसँ पहिने पूर्व राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी, सांसद अमर सिंह बेनी प्रसाद वर्मा सहित 16 दिवंत आत्मा केँ श्रधांजलि देलनि। तकरा बाद एक घंटा लेल सदन स्थगित कएल गेल।

पहिने सँ तय कार्यक्रम केँ मुताबिक राज्यसभाक उपसभापतिक चुनाव निश्चित छल। एनडीएक हरिवंश नारायण सिंह लगातार दोसर बेर राज्यसभा मे उपसभापति चुनल गेलाह। राज्यसभा मे राजग उम्मीदवार हरिवंशक मुकाबला विपक्षक उम्मीदवार मनोज झा सँ छल। ध्वनि मत सँ भेल मतदान मे हरिवंश जीत हासिल कएलनि। भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जगत प्रकाश नड्डा हरिवंश केँ उपसभापति बनाबै लेल प्रस्ताव पेश कएलनि। ओतहि विपक्ष कें दिश सँ गुलाम नबी आजाद मनोज झा केँ नामक प्रस्ताव रखलनि। बिहार चुनावक प्रभाव एतहूँ देखबा मे आयल। जदयू कें तरफ सँ राज्यसभा सदस्य हरिवंश आ राजद नेता मनोज झाक बीच भेल एहि मुकाबला केँ बिहार चुनाव सँ सेहो जोड़ी क’ देखल जा रहल अछि। सियासी पंडित लोकनि केँ मानी त’ ई विधानसभा चुनाव केँ ट्रेलर अछि।

जनतब होयत जे हरिवंश सामाजिक सरोकार सँ जुड़ल पत्रकारिता सँ जुड़ल रहलाह अछि। हरिवंश राजनीति मे जयप्रकाश नारायण केँ आदर्श सँ प्रेरित छथि। उत्तर प्रदेशक बलिया जिलाक सिताब दियारा गांव मे 30 जून, 1956 के जन्मल हरिवंश केँ जयप्रकाश नारायण (जेपी) सभसँ बेसी प्रभावित कएलनि।

बनारस हिंदू विश्वविद्यालय सँ अर्थशास्त्र मे एमए आ पत्रकारिता मे डिप्लोमा सेहो केने छथि। हरिवंश साल 1990-91 मे किछु मास लेल तत्कालीन प्रधानमंत्री चंद्रशेखर केँ अतिरिक्त सूचना सलाहकार (संयुक्त सचिव) केँ रूप मे प्रधानमंत्री कार्यालय मे सेहो काज केने छथि। ढाई दशक सँ बेसी समय धरि ओ ‘प्रभात खबर अखबारक प्रधान संपादक सेहो रहलाह। हरिवंश केँ नीतीश कुमारक पार्टी जनता दल यूनाइटेड राज्यसभा मे भेजने अछि। हुनका नीतीश कुमारक बेहद करीबी मानल जाइत छनि।