दोबारा परीक्षामे नहि बैसतथि सौरभ आ रूबी, टॉपरक नाममे बदलाव तय

    0
    389

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारक इंटरमीडियट केर परीक्षामे कला आ विज्ञान संकायमे राज्यमे टॉपर रहल क्रमशः रूबी राय आ सौरभ श्रेष्ठ बोर्ड द्वारा गठित कमेटीक सोंझा होइवला परीक्षामे भाग नहि लेताह। अहि बातक जानकारी रूबी राय केर पिता अवधेष प्रसाद राय आ सौरभ श्रेष्ठ केर पिता शैलेश श्रेष्ठ अहि बातक जानकारी ई-मेल द्वारा बोर्ड कें दय देलनि अछि, संगहि दुनू अभिभावक अहि बातक जानकारी मीडियाकें सेहो देलाह।
    रूबीक पिताक कहब छन्हि जे जाहि तरहें पत्रकार हुनका परेशान कऽ रहल अछि ओहि सं खिन्न भए रूबी घर सं भागि अपन दूरकें रिश्तेदार लग चलि गेल अछि। हमरा सबहक फोन पर एतेक बेसी फोन अवैत अछि जे हमरा सबकें अपन फोन तक कें बंद कय राखए पड़ि रहल अछि। ओमहरा सौरभ श्रेष्ठ पिता अपना बेटाकें संबंधमे बतौलाह जे हुनकर बेटा अहि परीक्षामे भाग नहि लेत कारण ओ एखन बिहार सं बाहर कोटामे अछि आ ओकरा सं अहि परीक्षामे भाग लेब सहज नहि छैक।
    मीडियामे रिपोर्ट ऐलाक बाद जाहि तरहक थू-थू राज्य सरकार आ बोर्डक भेल अछि ओहिकें बाद बोर्ड सेहो अहि मैमलामे सख्त देखना जा रहल अछि। दोबारा परीक्षाक लेल बोर्ड एकटा विशेषज्ञ टीमक तैयार केलक अछि जाहिमे 14 गोट शिक्षकें राखल गेलनि अछि। विशेषज्ञ लोकनि टॉपर छात्र सं लिखित एवं साक्षात्कार सेहो लेताह। परीक्षा विशेषज्ञ लोकनिक सोंझा मे हैत आ जरूरत पड़ला पर कॉपीक हस्ताक्षरक सेहो मिलानी कैल जाएत। बिहार इंटरमीडियट बोर्डक अध्यक्ष प्रो. लालकेश्वर प्रसाद कहला जे जौं टॉपर अहि परीक्षामे शामिल नहि हेताह त हुनकर रिजल्ट रद्द कऽ देल जेतनि। अपने कें बता दी जे दुनू विषयक टॉप 5 रहल छात्र-छात्राकें अहि परीक्षामे हिस्सा लेवाक छन्हि।