बिहारक बक्सरमे जन्म लेलक दुमुंहा बच्चा, अचरजमे प्रदेशवासी

    0
    264

    दिल्ली-मिथिला मिररः बृहस्पतिदिन बिहारक बक्सर जिलाक धनसोई प्रखंडक गंगाढ़ी गांवक छोटक सिंहक कनिया शिवराजो देवी एकटा अजीबो-गरीब बच्चाकें जन्म देलीह। सदर अस्पताल बक्सरमे सामान्य प्रसव सं जन्म लेल अहि बच्चाकें देखवाक लेल शहर भरि सं लोक अस्पताल पहुंच रहल अछि।
    बच्चाकें कमर एके टा छैक मुदा माथ आ डाढ़ दुनू दिस मुंह छैक। दू-दू गोट हाथ आ दू टा पैर वला इ बच्चाक सब आकार सामान्य बच्चा जेना छैक मुदा पैर दू गोट छैक। मुदा सब सं आश्चर्यक बात इ जे दू-मुंहा बच्चामे सं एकटा लड़का त दोसर लड़की अछि। मीडिया सं बात करैत छोटक सिंह कहला जे अहि सं पहिने हुनकर पत्नी एकटा बेटी आ एकटा बेटा कें जन्म दय चुकल छैथ आ इ तेसर प्रसव छल।
    स्थानीय अस्पतालक कर्मचारी सं संपर्क केलाक बाद सदर अस्पताल कहलक जे जच्चा आ बच्चा दुनू स्वस्थ अछि मुदा केस कें देखैत दुनू कें पटना मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल रेफर कऽ देल गेल अछि।