मैलोरंग रेपर्टरीक अगिला मंचन ‘आब मानि जाउ’ 18, 19 जून कऽ दिल्लीमे

    0
    288

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः भारतक राजधानी दिल्ली सं देशभरिमे मैथिली नाट्यमंचकें एकटा नव आयाम दैयवला नाट्य संस्थान मैलोरंग रेपर्टरी 18 एवं 19 जून कऽ अपन अगिला प्रस्तुति देबए जा रहल अछि। संस्था दू दिनमे अहि नाटकक तीन गोट मंचन रखलक अछि। दिल्लीक मंडीहाउस स्थित राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय (नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा) केर सम्मुख सभागारमे अहि मैथिली नाटकक मंचन राखल गेल अछि।
    मिथिला मिरर सं बातचीत करैत मैलोरंग रेपर्टरीक संस्थापक निर्देशक डॉ. प्रकाश झा कहला जे पहिल दिन अर्थात 18 जून कऽ दू गोट मंचन हैत जेकर समय अछि बेरू पहर 3:30 बजे आ सांझू पहर 6:30 बजे त दोसर दिनक मंचन 19 जून कऽ सांझ 6:30 बजे सं राखल गेल अछि। डॉ. झा कहला जे सिमित सीट हेवाक कारणें दिल्ली-एनसीआरमे रहनिहार समस्त मैथिलजन पहिने सं फोन आ कि संवाद दऽ अपन सीट सुरक्षित करावैथ। अहि नाटक सं जुड़ल जानकारी समय-समय पर हक सोशल मीडिया आ विभिन्न मीडियाक माध्यम सं अपने लोकनिक संग बांटैत रहब।