8 सितंबर कऽ बिहार दौरा पर भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा, रविशंकर प्रसाद केँ प्रचारक जिम्मेदारी तऽ नित्यानंद केँ चुनाव संचालनक जिम्मा

0
623

पटना, मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनावक सरगर्मी तेज भए चुकल अछि, सभ राजनीतिक पार्टी अपन-अपन राजनीतिक जमीन खोजबाक तैयारी मे जुटि चुकल अछि। हालांकि एखन चुनाव अयोग दिस सऽ चुनावक तिथी घोषित नहि कएल गेल अछि मुदा राजनीतिक दल आब बिना कोनो देर कएने चुनावी रणनीति मे तैयार देखना जा रहल अछि। भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष जगत प्रकाश नड्डा 8 सिंतबर कऽ बिहारक दौरा पर जा रहल छथि। भारतीय जनता पार्टी आगामी विधानसभा चुनावक लेल विभिन्न कमेटीक गठन कए काज केँ आगू बढ़ेबा दिस डेग बढ़ा देलक अछि।
बिहार भाजपा अध्यक्ष डाॅ. संजय जयसवाल एकटा संवाददाता सम्मेलन कए पटना मे एकर घोषणा कएलनि। बिहार विधानसभा चुनाव मे पार्टीक बेहतर प्रदर्शन हेतु गृह राज्य मंत्री नित्यानंद राय केँ चुनाव संचालन समिति केँ अध्यक्ष नियुक्त कएल गेलनि तऽ चुनाव प्रबंधन समितिक कमान बिहारक स्वास्थ्य मंत्री पंगल पांडे केँ देल गेलनि। बिहार सरकार मे कृषि, पशु एवं मत्स्य पालन मंत्री प्रेम कुमार केँ चुनाव घोषणा पत्र समितिक प्रमुखक जिम्मेदारी देल गेलनि, संगहि केन्द्रीय कानून मंत्री रविशंकर प्रसाद केँ बिहार चुनाव प्रचार समितिक अध्यक्ष बनाओल गेलाह अछि।