राष्ट्रपिता महात्मा गांधीक पुण्यतिथि पर प्रार्थना सभाक आयोजन

    0
    251

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: महात्मा गांधी सेवा संघक तत्वावधान मे राष्ट्रपिता महात्मा गांधीक पुण्यतिथि पर प्रार्थना सभाक आयोजन कायल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता संघक अध्यक्ष अवनींद्र कुमार मिश्र केलनि। अहि अवसर पर राष्ट्रपिता के प्रिय भजन ‘रघुपति राघव राजा राम, पतित पावन सीताराम, ईश्वर अल्लाह तेरे नाम, सबको सम्मति दे भगवान’ के बाद लोक बापू’क प्रतिमा पर पुष्पांजली अर्पित केलनि।

    वक्ता सब कहलनि जे, आजुक दौर मे सेहो बापूक विचार प्रासंगिक अछि। जाकर आत्मसात करबाक आवश्यकता अछि। मौका पर प्राचार्य प्रो. विमलेश झा, प्रो. नजीर अहमद, प्रो. हरिमोहन झा, प्रो. नागेंद्र राउत, रामसिहासन शाही, रघुनाथ चौधरी, सुरेंद्र राउत, सुरेंद्र झा, रामविलास प्रसाद, कृष्णदेव पासवान, भोगेंद्र झा, गजेंद्र पांडेय, सुरेंद्र राय, प्रवीण कुमार झा, दयानंद झा, शत्रुध्न राउत उर्फ मलखान सिंह सहित दर्जन भरि लोक शामिल छल।