जंतर मंतर पर अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति’क धरना प्रदर्शन

    0
    291

    दिल्ली, मिथिला मिरर: अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के तत्वाधान मे मंगल दिन दिल्लीक जंतर मंतर पर हजारो मैथिल धरना प्रदर्शन केलनि। सभाक अध्यक्षता शुधांशु शेखर तथा सञ्चालन शिशिर कुमार तथा किशलय कृष्ण द्वारा कायल गेल। संघर्ष समितिक मुख्य मांग मे मिथिला राज्यक निर्माण, मैथिली शिक्षकक बहाली, सड़क, रेल एवं हवाई यातायातक सुविधा, मिथिला मे एम्स, आईआईटी तथा आईआईएम के स्थापना दिल्ली दरभंगा राजधानी ट्रेनक मांग, दरभंगा मे उच्च न्यायालय के स्थापना, मैथिली मे प्रारंभिक शिक्षा तथा मैथिली दूरदर्शन के स्थापना सहित अन्य मांग शामिल अछि।

    अहि अवसर पर मिथिला मैथिलक विभिन्न संस्थाक प्रतिनिधि हिस्सा लेलनि तथा अप्पन विचार व्यक्त केलनि। संघर्ष समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष बैधनाथ चौधरी कहलनि जे, बिना मिथिला राज्यक गठन के मिथिलाक विकास संभव नहि अछि। ओतहि समितिक अंतर्राष्ट्रीय संयोजक अमरेंद्र कुमार कहलनि जे, शिक्षा, बिजली आ उद्योगक कमी मिथिला के गरीब बना रहल अछि। शिशिर कुमार कहलनि जे, ई 6 करोड़ मैथिलक मांग अछि।

    सभाक अंत मे राष्ट्र्पति, प्रधानमंत्री एवं गृहमंत्री के ज्ञापन देल गेल। सभा के पूर्व सांसद महाबल मिश्र, सुधांशु शेखर, पवन झा, अशोक झा,  सुशिल झा, जितेंद्र पाठक इत्यादि संबोधित केलनि।