समस्तीपुर मे पेंशनधारीक अनिश्चितकालीन अनशन शुरू

    0
    419

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: अखिल भारतीय खेत एवं ग्रामीण मजदुर सभाक बैनर तर सारी पंचायत भवन पर मंगलदिन अनिश्चितकालीन अनशनक शुरूआत कायल गेल। अनशन स्थल पर एकटा सभाक आयोजन कायल गेल।

    सभाक अध्यक्षता भाकपा-माले प्रखण्ड सचिव सह जीवछ पासवान केलनि। सभाक इनौस के जितेन्द्र कुमार कुशवाहा, महेंश सिंह, देवेन्द्र ठाकुर, आनन्दी लाल राय, सत्यनारायण नायक, मो. नईम, रामबली राय, रामसुन्दर देवी, मो.सहरा खातुन, पुतुल देवी, सरस्वती देवी, छोहरिया देवी, मंगल साह, दिनेश साह, मुकेश कुमार आदि मौजूद छलाह।

    अनशनकारीक मुख्य मांग मे ग्राम पंचायत राज सारी पंचायतक समाजिक सुरक्षा पेंशन, लक्ष्मीबाई पेंशन योजना, राष्टीय सुरक्षा पेंशन एवं विकलांग पेंशन योजना के तहत पेंशनभोगी के बकाया 12 महिनाक पेंशनक आविलंब भुगतान कराओल जाए।