बाबा बैद्यनाथ के दरबार पहुँचलाह मुख्यमंत्री नीतीश कुमार

    0
    318

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन झारखंड के देवघर स्थित बाबा बैद्यनाथ धाम मंदिर मे पूजा अर्चना करबाक लेल पहुँचलाह। नीतीश कुमार देवघर मे बाबा बैद्यनाथ मंदिर पहुँचि कय द्वादश ज्योर्तिलिंग के दर्शन केलनि तथा आम लोकक संग जलाभिषेक कय पूजा केलनि।

    मंदिर के पुरोहित मंत्रोचार के संग नीतीश कुमार सं विधिवत पूजा करौलनि। सूत्रक अनुसार देवघर मे पूजा के बाद नीतीश कुमार बासुकीनाथ धामक लेल प्रस्थान केलनि। जतय सं ओ दुमका के लेल प्रस्थान करताह।