स्थापना दिवस पखवारा मनौलक भाजपा

    0
    260

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: भारतीय जनता पार्टीकें नेतृत्वक निर्देश पर 6 अप्रैल सँ 14 अप्रैल धरि स्थापना दिवस पखवाराक रुपमे मनाओल जा रहल अछि। अहि क्रममे बुधदिन दरभंगा नगरकें वार्ड 10मे वार्ड अध्यक्ष आकश कुमारक अध्यक्षतामे स्थापना दिवस मनाओल गेल। कार्यक्रममे स्थानीय भाजपा नेता मनोज महतो अपन संबोधनमे कहलनि जे, भाजपा एकमात्र सर्वमानु पार्टी बनिकय समुच्चा देशमे उभरि रहल अछि। कार्यक्रममे नगर अध्यक्ष प्रमोद सतसंगी, पूर्व अध्यक्ष लक्ष्मण झुनझुनवाला, बालेंदु झा, गिरधर गोपाल, रवि चन्द्रवंशी, सुरेश शर्मा आदि कार्यकर्ता उपस्थित छल।