भारत-नेपाल सीमा सं 17 करोड़क चरस बरामद

    0
    265

    रक्सौल, मिथिला मिरर: बिहार मे नेपालक सीमा सं लागल पूर्वी चंपारण जिलाक पलनवा थानाक भेलाही पुलिस आउट पोस्ट क्षेत्र सं सीमा शुल्क विभागक टीम द्वारा 17 करोड़ रुपैया मूल्यक 17 किलोग्राम नेपाली चरस बरामद कायल गेल अछि।

    सीमा शुल्क विभाग मोतिहारी के आयुक्त शैलेन्द्र कुमार के अनुसार सूचनाक आधार पर भुतहा मठ के निकट उपायुक्त पवन कुमार के नेतृत्व मे विभागक एकटा टीम शुक्रदिन साँझ मे प्लास्टिकक थैला मे तस्करीक लेल लय जा रहल 17 किलोग्राम नेपाली चरस बरामद केलक अछि। ओ कहलनि जे, पुलिस के देखितहि तस्कर थैला फेंक कय फरार भय गेल।