मधुबनीमे मिथिला महोत्सव’क दू दिवसीय कार्यक्रम शुरू

    0
    259

    मधुबनी, मिथिला मिरर: पर्यटन विभाग एवं जिला प्रशासनक संयुक्त तत्वावधानमे जिला मुख्यालय स्थित वाट्सन उच्च विद्यालय प्रांगणमे 19 मार्च रविदिन सं दू दिवसीय मिथिला महोत्सव’क आयोजन कएल गेल अछि। मिथिला लोक गीत, मिथिला लोक नृत्य, लोकगाथा, मिथिला पेंटिंग, मिथिला’क प्रसिद्ध व्यजंन, अहि क्षेत्रक प्रमुख पर्यटन स्थल आदिकें केंद्रमे राखिकए अहि आयोजनकें सफल बनेबाक तैयारी कएल गेल अछि।

    कार्यक्रमक उद्घाटन पर्यटन मंत्री अनिता देवी केलनि। गीत, नृत्यमे तथा अन्य कला एवं संस्कृति विभागक कलाकार, स्थानीय कलाकार आ राज्यके बाहरक प्रतिष्ठित कलाकार सेहो अप्पन जलवा देखेताह।

    महोत्सवमे सांस्कृतिक कार्यक्रममे गायनके संग-संग नृत्य समूह, विभिन्न प्रकारक बैंड, कव्वाली आ मुशायरा, मिथिला संस्कृति पर आधारित वक्तृता, एकांकी नाटक, मिथिला सं जुड़ल प्रहसन, विद्यालय व महाविद्यालयके विद्यार्थीक सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रस्तुति भेटत। महोत्सवके पहिल दिन सांस्कृतिक कार्यक्रमक आगाज मद्य निषेध पर आधारित साक्षरता गीत आ कार्यक्रम सं होएत।