सुपौल मे पांच सालक महादलित बच्चीक संग कक्का केलक दुष्कर्म

    0
    321
    सुपौल, मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगत\रवि: छातापुर प्रखंडक त्रिवेणीगंज थाना क्षेत्र अन्तर्गत कुसहा पंचायतक मचहा गाम शुक्रदिनक राईत एकटा अमानवीय घटना स सहमि उठल। जाहि मे बाप तुल्य मानल जाय बला कक्का मात्र पांच सालक महादलित भतीजी संग दुष्कर्म केलक। मानवता आ पित्ती भतीजीक रिस्ता के जड़ि स हिला देबय बला अहि घटना स लोक स्तब्ध अछि। फिलहाल आरोपी के गिरफ्तार कय महिला थाना पुलिस के सुपूर्द कय देल गेल।
    आरोपी दुष्कर्मक बाद बच्ची के गरदनि दबा कय हत्या करबाक प्रयास सेहो केलक, मुदा सफल नहि हेबाक बाद बच्ची के अचेतावस्था मे छोड़ि कय फरार भय गेल। काफी देर बाद होश मे एलाक बाद खून स लथपथ बच्ची अप्पन घर पहुंचल आ आंगन मे प्रवेश करितहि बोहोश भय खसि पड़ल। बाद मे परिजन द्वारा बच्ची के उपचारक लेल अस्पताल लय जायल गेल।
     जानकारीक अनुसार पीड़ित बच्ची शुक्रदिन राईत मे भोजनक उपरांत घर मे मां के संग सुतल छल। किछु काल बाद घर मे अधिक गर्मी लगबाक कारने बच्ची दलान स्थित मचान पर सुतल दाई-बाबा लग चलि गेली। ओही गामक रहनिहार बच्चीक ममेरा कक्का ताराचंद ऋषिदेव सुतल बच्ची के अधरतिया मे उठा कय एकांत मे लय जा घटना के  के अंजाम देलक।
    घटनाक सूचना भेटला पर त्रिवेणीगंज पुलिस मौका पर पहुँचि कय घटना स्थलक मुआयना केलाक बाद पीड़ित बच्चीक मां द्वारा देल गेल बयानक आधार पर केश दर्ज कय आरोपी के गिरफ्तार केलक।महिला थानाध्यक्ष प्रेमलता भूपाश्री बतौलनि जे, बच्चीक उपचार अस्पताल मे चलि रहल अछि, जतय बच्चीक हालत नाजुक बनल अछि।