केंद्रीय विद्यालय के मांगक लेल एमएसयू’क प्रदर्शन, जिलाधिकारिक’क अहम निर्देश जारी

    0
    406
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा मंगलदिन मधुबनी मे केंद्रीय विद्यालयक मांग के लय प्रदर्शन आ समाहरणालय के घेराव कायल गेल। जाहि के बाद मांगक संदर्भ मे जिला प्रशासन अंचल अधिकारी के दस एकड़ उपयुक्त जमीन खोजबाक निर्देश जारी केलक अछि। संगहि जिला पदाधिकारी जिलावासी सं अपील केलनि जे, इच्छुक जमीन दान दाता केंद्रीय विद्यालयक लेल दस एकड़ उपयुक्त जमीन दान करैत छथि त हुनक नाम विद्यालयक नामक संग जोड़ल जायत।
    जिला पदाधिकारी गिरिवर दयाल सिंह कहलनि जे, जिला मे केंद्रीय विद्यालयक आवश्यकता के ध्यान मे रखैत ई निर्णय लेल गेल अछि। जिला अधिकारीक अहि निर्णय के यूनियनक सब वरिष्ठ पदाधिकारी स्वागत केलनि।
    यूनियन के बिहार प्रभारी कहलनि जे, ई निर्णय बहुत पहिने लेबाक चाही छल। 45 लाख जनसँख्या वला जिला मे केंद्रीय विद्यालय के नहि भेनाय सरकारक उपेक्षा के दर्शाबैत अछि।