समस्तीपुरमे दहेजक खातिर विवाहिताकें बेरहमी सं पिटल गेल

    0
    307

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: दहेजक लोभी सासुर वलाक मारि सं विक्षिप्त विवाहिताकें सदर अस्पतालक चिकित्सक बेहतर इलाजक लेल रविदिन पीएमसीएच रेफर कय देलक। बता दी जे, सासुर वलाक मारि सं ओ विक्षिप्त भए गेल छल। जकर इलाज सदर अस्पतालमे चलि रहल छल। जतय स्थितिमे कोनो सुधार नहि होइत देखि चिकित्सक पीएमसीएच रेफर केलक अछि।

    पीड़ित विवाहिता खानपुर मसीना कोठीक रहय वाली अछि। बियाहक लगभग 12 साल पूर्व रोसड़ाक गायाघाट निवासी रामसगुन चौधरीक पुत्र चंद्रमणि चौधरी सं भेल छल। किछु साल धरि सब किछु ठीक रहल मुदा बादमे स्थिति बिगड़ि गेल। पीड़िताकें 09 सालक एकता बेटा सेहो अछि। किछु दिन सं सासुरक लोक दहेजक रूपमे तीन लाख रुपैयाक मांग शुरू कय देलक अछि। शुक्रदिन साँझमे मामला एतेक खराब भए गेल जे, विवाहिताकें सासुर वला सब मारि-पीटि कए गंभीर कए देलक आ मामला गंभीर भेलाक बाद टेम्पूमे बैसा कए नैहर पठा देलक। जतय परिजन आनन-फाननमे सदर अस्पतालमे भर्ती करेलक।

    मसीना कोठी निवासी विवाहिताक पिता सत्यनारायण झा द्वारा देल गेल बयान पर नगर थानाक पुलिस रोसड़ा थानाकें सूचित कए देने अछि। जाहिमे पति चंद्रमणि चौधरी, भैंसुर मुरारी चौधरी, गोतनी कामिणी देवी व एकटा अन्यकें नामजद केने अछि।