दरभंगामे इंजीनियरिंगकें छात्र जरौलक मुख्यमंत्री’क पुतला

    0
    268

    दरभंगा, मिथिला मिरर: यूपीएससी परीक्षाक तर्ज पर बीपीएससी’क परीक्षामे बीटेक फाइनल वर्षक छात्रकें फॉर्म भरबाक अनुमति भेटबाक लए तकनीकी छात्र संगठन मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक पुतला जरेलक।

    रविदिन दरभंगा अभियंत्रण महाविद्यालय गेटक समीप आक्रोश व्यक्त करैत संगठनके मो. गुलफराज कहलनि जे, बीपीएससी दिस सं निकालल गेल पद पर फॉर्म भरबा सं वंचित बहुतो छात्र मानसिक रूप सं प्रताड़ित अछि। जहन कि यूपीएससीकें दिस सं जे भी रिक्ति निकालल जाइत अछि, ओहिमे अंतिम वर्षक छात्र फॉर्म भरि सकैत अछि।

    संगठन सरकार सं मांग केलक अछि जे, बीपीएससीमे सेहो यूपीएससीकें तर्ज पर छात्रकें फॉर्म भरबाक अनुमति देल जाए। संगहि आयुक गणना सेहो ओहिना कएल जाए। छात्रक आरोप छल जे, मुख्यमंत्रीकें छात्रक भविष्यक कोनो चिंता नहि। मुख्यमंत्री मात्र नव कॉलेज खोलिकय वाहवाही लूटि रहल छथि। मौका पर जैनुल, सूरज, नवल, राहुल सहित बहुतो छात्र मौजूद छल।