बांग्लादेशकें 8 विकेट सं हरा भारत 6म बेर बनल एशियाक चैंपियन

    0
    327

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश कुमार झाः बांग्लादेशक मीरपुर मे खेलल गेल एशिया कप क्रिकेट-2016 कें जीत भारत 6म बेर अहि खिताब अपन अपन दाबी पेश केलक। बरखा सं प्रभावित अहि मैचकें शुरूआते सं इंद्रदेवक प्रकोप लागि गेल छल आ एक समय एहनो आयल जखन अहि मैच कें बिना खलने निर्णय देवाक बात होमय लागल छल। बाद मे एहन भेलैक जे बरखा सं बाधित मैच कें 15-15 ओवर कें करेवाक निर्णय अंपायर लोकनिक द्वारा लेल गेल।
    टाॅस जीत कऽ भारतीय टीम कप्तान महेन्द्र सिंह धोनी पहिने गेंदबाजी करवाक निर्णय लेलाह आ बांग्लादेश कें पहिने बैटिंग करवाक लेल आमंत्रित केलथि। गेंदबाजी शुरूआत रवि चंद्रण अश्विन द्वारा कैल गेल आ पांच ओवरक खेल मे भारतीय गेंदबाज बांग्लादेश कें 2 विकेट आउट करवामे सफल रहला मुदा अंतिम कें पांच ओवरमे तावर-तोड़ बल्लेबाजी करैत बांग्लादेशक टीम 119 रन बना भारत कें एकटा सम्मान जनकर स्कोर कें पार करवाक चुनौती देलाह। मुदा भारतीय टीमक शुरूआत नीक नहि रहल, मैचक शुरूआते मे रोहित शर्माक विकेट भारत बहुत जल्दीये गमा देलक मुदा ओहि कें बाद प्रारंभिक बल्लेबाज शिखर धवन आ विराट कोहलीक साझेदारी सं भारत जीतक दुआरि पर ठाढ़ भय गेल छल।
    उत्कृष्ट खेल प्रदर्शन करैत प्रारंभिक बल्लेबाज शिखर धवन 46 गेंद मे 9 चैका आ 1 छक्का कें मदद सं 60 रन बना क आउट भेलाह। ओहिकें बाद बल्लेबाजी करैय लेल आयल भारतय कप्तान महेंद्र सिंह धोनी 6 गेंद मे 2 छक्का आ 1 चैकाक मदद सं 20 रन बना 6 गेंद रहिते भारत कें जीत दिया देलाह। दोसर छोर पर विराट कोहली 28 गेंद मे 5 चैकाक मदद सं अजय 41 रनक पारी खेललाह।