पटना केर गांधी मैदानमे रविदिन उद्यमिता जागरूकता रोड शो

    0
    267

    पटना-मिथिला मिरर ब्यूरोः बिहार उद्यमी संघ द्वारा पटना केर गांधी मैदानमे रविदिन उद्यमिता जागरूकता रोड शो ‘‘वाॅक द टाॅक’’ केँ आयोजन कएल गेल। उद्यमी बिहार, समृद्ध बिहारक संकल्पक संग रोड शो केर शुभारंभ उद्योग, विज्ञान एंव प्रद्योगिकी मंत्री जय कुमार सिंह द्वारा कएल गेल। ओतहि युवा सबके उत्साहवर्धन हेतु बिहार सरकार केर प्रधान सचिव विवेककुमार सिंह, संयुक्त सचिव साकेत कुमार, तकनीकी निदेशक रविंद्र प्रसाद, निदेशक उद्योग बिहार पंकज कुमार सिंह सामूहिक रूपसँ आकाशमे बैलून उड़ा केला। जनतब दी दी जे प्रत्येक बर्ष बिहार उद्यमिता सम्मेलनक उद्धघाटन रोड शो “walk the talk” सँ होएत अछि। जकर मुख्य उद्देश्य बिहारमे उद्यमिता केर एक गोट सिस्टम तैयार करब अछि।
    एहि अवसर पर मंत्री जय कुमार सिंह युवा सबके सम्बोधित करैत कहला जे बिहार सरकार बिहारकेँ स्टार्टअप हब बनेबा लेल दृढ़ संकल्पित अछि और एहि प्रतिबद्धता केँ दोहराबैत स्टार्ट अप बिहार कार्यक्रमक शुरुआत कएल गेल छैक। एहि बरखक आयोजन समितिमे 50 गोटे बिहार उद्योग विभाग सँ एंव 50 गोटा बिहार उद्यमी संघसँ छथि। एहि सम्मेलनक आयोजन उद्योग विभाग, बिहार सरकार, एंटरप्रेन्योर असोशियन ऑफ इंडिया, आईआईटी पटना, आईआईएम कोलकत्ता, अंतर्राष्ट्रीय मजदूर संगठन, वल्ड इकोनॉमिक फोरमक ग्लोबल शेफर्स कम्युनिटी, टारगेट एक्सलेटर, अमेजन, आईबियम समेत कुल 27 राष्ट्रीय एंव अंतर्राष्ट्रीय संस्था सब द्वारा कएल गेल अछि।
    कार्यक्रम 21 मार्चकेँ 9 बजे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर द्वारा श्रीकृष्ण मेमोरियल हालमे चतुर्थ बिहार उद्यमिता सम्मेलनक शुभारंभ कएल जाएत। 22 मार्च 9 बजे उद्योग, विज्ञानं एंव तकनीकी मंत्री (बिहार) जय कुमार सिंह द्वारा होटल मौर्यामे बिहार दिवसक दिन विज्ञान एंव तकनीकी सत्रक शुभारम्भ होएत।