ताड़ी पीबाक विरोध पर बेरहमी सं पत्नीक पिटाई, अस्पतालमे भर्ती

    0
    459

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: शराबबंदीक बावजूद बहुत लोकक आदतिमे सुधार नहि भेल अछि। ऐहने एकटा घटना सीतामढ़ी सं प्रकाशमे आएल अछि। नगर थानाक हुसैना वार्ड 13मे पत्नी जहन पतिकें ताड़ी पीबा सं रोकलक त पति पत्नीक पिटाई कए देलक। जख्मी हालतमे पत्नी शमीला खातूनकें इलाजक लेल सदर अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल।

    पीड़िता पुलिसकें देल गेल बयानमे कहलनि जे, पति मो. शमीम ठेला चलबैत अछि। ओहि सं प्राप्त आमदनी सं परिवार चलैत अछि। मुदा, शराबबंदीक बाद ठेला चलाबए सं प्राप्त रुपैया सं ओ ताड़ी पीबि लैत अछि। शुक्रदिन राति सेहो ओ ताड़ी पीबिकए आएल छल। पूछताछ केलाक पर तामसमे ओ पत्नीक बेरहमी सं पिटाई कए देलक।