मिथिला पेंटिंगसँ सजल बिहार संपर्क क्रांति ट्रेन दरभंगासँ दिल्लीक लेल रवाना

0
869

दरभंगा-मिथिला मिरर:  23 अगस्त वृहस्पतिदिन दरभंगासँ नई दिल्ली जायबला गाड़ी नंबर 12565 बिहार संपर्क क्रांति सुपरफास्ट मिथिला पेंटिंगसँ सुसज्जित भ’ दिल्लीक लेल प्रस्थान केलक। मिथिला पैटिंगक लेलइ ई दिन ऐतिहासिक रहल। कुनो क्षेत्रीय कलाकें स्थान दैत इंडियन रेलवेक ई पहिल पहल छल। निश्चित रूपसँ ई कोशिश मिथिला पेंटिंगसँ जुड़ल कलाकार लोकनिकेँ प्रोत्साहितक सँग रोजगारक अवसर सेहो देत। भारतीय रेलक एहि कदमसँ  मिथिलावासीमे बड्ड बेसी उत्साह देखल गेल। मिथिला पेंटिंगसँ सुसज्जित कोच देखि समस्तीपुर रेल मंडलक डीआरएम रवींद्र जैन कहैत छथि जे मिथिला पेंटिंग विश्वविख्यात अछि ताहि कारणसँ रेलवे एकरा अपनौलक अछि।  डीआरएम स्वयं ट्रेनमे सवार भ’ यात्री सभसँ फीडबैक लेलाह जेहिसँ यात्रीसभमे खुशी देखल गेल। यात्रीसभ डीआरएमसँ बात करैत कहलाह जे मिथिलाक संस्कृति आ कलाकेँ देश-दुनियामे प्रसारित करबाक लेल जे पहल रेलवे केलक अछि ताहि लेल मिथिला रेल मंत्रालयकें  धन्यवाद दैत छनि। रेलवे विभिन्न स्टेशन पर  आ ट्रेनमे मिथिला पेंटिंग उकेर क’ सौंदर्यीकरणक दिशामे काज शुरू केलक अछि। बिहार संपर्कक्रांतिकेँ एकटा मॉडलक रूपमे प्रस्तुत कएल गेल। फिलहाल मात्र नौ टा कोच मिथिला पेंटिंगसँ सजाओल गेल अछि जाहिमे लगभग डेढ़ महिनाक समय लागल। बांकी कोचक सौंदर्यीकरणक काज जल्दीये पूरा कएल जाएत। एहि कदमसँ देशक विभिन्न स्थानक सँग देशक राजधानी धरि मिथिला पेंटिंग खूब नीक जकाँ पसरत। एकर सफलता देखलाक बाद आगूक योजना बनाओल जायत। मौका पर आरपीएफ कमांडेंट अंशुमन राम त्रिपाठी, स्टेशन डायरेक्टर चंद्रशेखर प्रसाद सिंह, स्टेशन अधीक्षक अशोक सिंह, इंस्पेक्टर विनोद कुमार विश्वकर्मा, सीटीटीआई पवन सिंह आ अन्य लोक सभ सेहो छलाह। हाजीपुरमे पूर्व मध्य रेलवेक महाप्रबंधक ललितचंद्र त्रिवेदी सेहो मिथिला पेंटिंगक जायजा लैत यात्री सभसँ फीडबैक लेलाह। स्टेशन डायरेक्टर चंद्रशेखर प्रसाद सिंह बतौलनी जे मिथिला पेंटिंगसँ सजल एहि ट्रेनकेँ सजेबामे मधुबनी (बेनीपट्टी)क संस्था केएसबी इंस्टीट्यूटक कलाकार लोकनिक कलाकारी छनि। 13 कलाकारक टीम एक बोगीके औसतन चारि दिनमे पेंटिंग केलक अछि। टीममे खुशबू चौधरी, अंजनी झा, प्रीति कुमारी, रिंकू कुमार, प्रीति झा, सपना कुमारी सहित लगभग 45 कलाकारक सहभागिता रहल। कलाकार लोकनिकेँ पारिश्रमिक सेहो देल जेतनि।