मुजफ्फरपुरक घटना : पूर्व मंत्री मंजू वर्मा पर लटकल गिरफ्तारीक तलवार

0
426

पटना, मिथिला मिरर : मुजफ्फरपुर बालिका गृह यौन उत्पीडऩ कांडमे पूर्वमंत्री मंजू वर्मा आ  हुनक पति चंद्रशेखर वर्मा पर आब गिरफ्तारीक तलवार लटकि रहल छनि। 17 अगस्तकेँ  बेगूसरायक चेरिया बरियारपुर स्थित मंजू वर्माक आवास पर सीबीआइक छापेमारीक दौरान बरामद सभ 50 जीवित कारतूस अवैध पाओल गेल। एहन स्थितिमे आर्म्स एक्ट मामलामे बेगूसराय पुलिस कखनो वर्मा दंपतिकेँ गिरफ्तार क’ सकैत अछि। बतादी जे चेरिया बरियारपुर थानामे पछिला शुक्रदिन 17 अगस्तके सीबीआइके डीएसपी मंजू वर्मा आ हुनक पतिकेँ खिलाफ अवैध हथियार व कारतूस रखबाक मामलामे प्राथमिकी दर्ज करौने छल। बेगूसरायक एसपी आदित्य कुमार मंगलदिन प्रेसकेँ जानकारी दैत कहलाह जे जाँच रिपोर्टमे पता चलल अछि जे मंजू वर्माक घरसँ जतेक कारतूस बरामद कएल गेल छल ओ सभ अवैध अछि। संगहि कहलाह जे  जिला पुलिसकेँ जाँच रिपोर्टक इंतजार अछि। एसपी इहो बतौलनी जे मंजू वर्माक पुत्र मंगलदिन हुनकासँ भेट क’ गुहारि लगौने छल जे हुनका घरसँ बरामद कारतूस हुनक नहि छनि। मंजू वर्माके पुत्रके लिखित रूपमे देबाक लेल कहल गेलनि जेकरा बाद हुनक आवेदनक आलोकमे सेहो जाँच कराओल जायत। एसपी आदित्य कुमार बतौलनी जे मंजू वर्माकेँ कुल 16 अंगरक्षक आ हाउसगार्ड उपलब्ध कराओल गेल छलनि जाहिमे 1/4 हाउसगार्ड, 1/4 स्कॉर्ट पार्टी, तीन अंगरक्षक आ तीन विशेष शाखाक अंगरक्षक उपलब्ध कराओल गेल छल। दूटा अंगरक्षक एसएलआरसँ लैस छलथि जखनि दुनू एसएलआरधारी अंगरक्षकक गोलीक हिसाब माँगल गेल त’ ओ ठीक छल। एहनमे सवाल उठैत अछि जे मंजू वर्माक घर पर प्रतिबंधित श्रेणीक कारतूस कतयसँ आ कोना अएलनि।