रंजना हत्याकांड : पूछताछक बाद रंजना झाक पतिकेँ भेजल गेल जेल

0
752

दरभंगा, मिथिला मिरर : मधुबनी जिलाक अरेर थाना क्षेत्रक जरैल निवासी भूप नारायण झाक नवविवाहिता पुत्री रंजनाक संदेहास्पद मौतक मामलामे पुलिस जांच तेज क’ देलक अछि। विशनपुर थाना पुलिस 21 अगस्त मंगलदिन बहादुरपुर थाना क्षेत्रक ओझौल गाम पहुंचि रंजनाक सासुरक अगल-बगल रहय बला लोक सभसँ पूछताछ केलक। दोसर तरफ रंजनाक पति प्रभात कुमार झा उर्फ बिट्टूकेँ पूछताछक बाद पुलिस न्यायालयमे पेश केलक आ ओतयसँ हुनका न्यायिक हिरासतमे जेल भेज देल गेल। रंजना झाक परिजन सभ जखन रंजनाक मौत पर सवाल ठाढ़ केलक, तकरा बाद एहि मामलामे नव मोड़ आबि गेल अछि। पूर्वमे खबरि फैल गेल छल जे एकमी-शोभन रोडमे भरौल चौक लग सड़क दुर्घटनामे रंजनाक मौत भ’ गेलनि। हालांकि घटनास्थल पर दुर्घटनाकेँ समर्थनमे साक्ष्य नहि भेटबाक बात पुलिस करैत छल मुदा जखन रंजनाक भाइ सदाशिव झा रंजनाक सासुरवला पर हत्या करबाक आरोप लगौलनि तखन जाँचमे नया मोड़ आयल। बेंता स्थित एकटा निजी अस्पतालसँ  छुट्टी भेटिते पुलिस रंजनाकेँ पति प्रभातकेँ गिरफ्तार क’ लहेरियासराय थाना ल’ गेलनि। सदर एसडीपीओ अनोज कुमार आरोपी प्रभातसँ बेसी काल धरि पूछताछ केलक। पोस्टमॉर्टम रिपोर्टकेँ  अध्धयन कएलाक बादमे प्रभात कुमार झाकेँ जेल भेजबाक निर्णय लेल गेल। सदर एसडीपीओ अनोज कुमार प्रेससँ बात करैत कहलाह जे एहि मामलाक गंभीरतासँ जाँच चलि रहल अछि आ जल्दीये रंजना हत्याकांडसँ सम्बंधित अन्य लोक सभके गिरफ्तारी भ’ सकैत अछि।