दरभंगा जमीन विवाद मे आगि मे झड़कल भाइ-बहिनक पीएमसीएच मे मौत

0
5343

मिथिला मिरर-राजीव चौधरी: दरभंगा मे जमीन विवाद मे आगि मे गंभीर रूप सँ झड़कल भाइ-बहिनक पटना मेडिकल काॅजेल एवं अस्पताल मे मंगलदिन निधन भऽ गेलनि। गर्भवती बहिनक पेट मे पलि रहल बच्चाक मौत घटनाक दोसरे दिन भऽ गेल जखन कि ओहि बच्चाक माँ पिंकी झा पीएमसीएच मे इलाजरत्त छलीह मुदा हुनको निधन मंगलदिन भऽ गेल। पिंकीक निधनक किछु कालक बाद हुनक भाइ संजय झाक सेहो निधन भऽ गेलनि। संजय झाक इलाज सेहो पीएमसीएच मे चलि रहल छलनि।
अपने के जनतब हैत कि दरभंगाक गिरिन्द्र मोहन रोड स्थित घर संख्या चारि पर भूमाफिया द्वारा पहिने बुल्डोजर सँ तोड़-फोड़ कएल गेल जखन कि परिवारक 4 गोट सदस्य केँ पेट्रोल ढारि जरेबाक प्रयास सेहो कयल गेल। एखन धरि एहि घटना मे पेट मे पलि रहल नवजातक संग-संग तीन गोटेक दुखद मृत्यु सँ पूरा मिथिला मे एहि बातक चर्चा व्यापक रूपेँ चलि रहल अछि। एहि घटनाक बाद पुलिस प्रशासन पर बहुतरास सवाल उठब स्वभाविक अछि।
हालांकि एखन धरि एहि घटनाक मुख्य आरोपी शिव कुमार झाक गिरफ्तारी नहि भऽ सकल अछि। पुलिसक मानी तँ 8 गोट नामजद आरोपी केँ सोमदिन गिरफ्तार कऽ लेल गेल। एहि मामला मे 40 गोटेक खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। पुलिस दाबा अछि जे 13 गोट आरोपी केँ चिन्हित कऽ लेल गेल अछि जाहि मे सँ 8 गोटेकेँ गिरफ्तार कऽ लेल गेल अछि। हालांकि जखन ई मामला पैघ स्वरूप लेलक तखन प्रशासन द्वारा शनिदिन मुजफ्फरपुर सँ एफएसएलक टीम बजाओल गेल। घटनास्थल पर पहुंचल फाॅरेंसिक टीम द्वारा बुल्डोजर सँ ढाहल मकानक सैंपल सहित जरल कपड़ा सहित अन्य तथ्यक सैंपल एकत्रित कयल गेल।