मधुबनी नगर परिषद् चुनावक राजनीतिक सरगर्मी तेज

    0
    243
    मधुबनी, मिथिला मिरर: नगर परिषद् चुनावक लेल राजनीतिक सरगर्मी तेज भय चुकल अछि। जिला प्रशासन द्वारा प्रस्तावित नव आरक्षण रोस्टरक सूचि के जिला पंचायती राज विभाग निर्वाचन आयोगक स्वीकृति के लेल तीन दिन पहिने पठा देल गेल अछि। यदि जिला प्रशासन द्वारा प्रस्तावित सूचि पर निर्वाचन आयोग मोहर लगा दैत अछि त बहुतो वर्तमान वार्ड पार्षद अप्पन वार्ड स चुनाव नहि लड़ि सकताह। एहेन मे लोक दोसर वार्ड मे अप्पन राजनीतिक जमीनक तलाश मे जुटि गेल अछि।
    ओतहि बहुतो वर्तमान वार्ड पार्षद अप्पन पत्नी के चुनाव लडेबाक लेल मैदान मे उतारबाक तैयारी कय रहलाह। दोसर दिस नव चेहरा के सेहो चुनाव जीत क नप के राजनीति मे एबाक मौका भेट सकैत अछि। अहि सं युवा मे खास दिलचस्पी देखल जा रहल अछि।
    सूत्रक अनुसार प्रस्तावित रोस्टर बनेबा सं पूर्व सेहो युवा अहि मे दिलचस्पी देखेने छल। नप सू्त्रक अनुसार नव प्रस्तावित आरक्षण रोस्टर पूर्वक जनसंख्या पर आधारित अछि। अहि बाबत प्रभारी पंचायती राज पदाधिकारी अरविंद झा कहलनि जे, आरक्षण रोस्टर के सूचि के राज्य निर्वाचन आयोग के स्वीकृतिक लेल पठा देल गेल अछि। विभाग स स्वीकृति के बादे सूचिक प्रकाशन होयत आ फेर ओहि के अनुरूप आगू काज कायल जायत।