डीएमसीएचकें पांच गोट छात्र सीबीआईकें निशाना पर

    0
    335

    दरभंगा, मिथिला मिरर: देशक चर्चित व्यापम घोटालाकें तार डीएमसीएच सं जुड़ल अछि। तीन सदस्यीय टीम’क जांच रिपोर्ट सीबीआईकें पठा देल गेल। डीएमसीएचकें एमबीबीएसमे पांच सालमे नामांकित भेल छात्रमे सं पांच गोट छात्रकें चिन्हित कएल गेल अछि। मुदा एखन नामक खुलासा नहि भेल अछि। अहि रिपोर्टक जांच फेर सं सीबीआई करत, तकरा बाद अहि बातक खुलासा कएल जाएत।

    डीएमसीएचकें जांच टीमक पांच सालक नामांकणकें सब कागजातकें जाँच करबामे करीब ढ़ाई महिना लागल अछि। अहिमे 450 छात्रक नामांकणकें कागजातक गहन जांच पड़ंताल कएल गेल। डीएमसीएचमे नामांकित छात्रक फोटो आ परीक्षामे शामिल छात्रक फोटो सं मिलान कएल गेल। परीक्षा सं पूर्व भरल गेल फार्मक मिलान नामांकनके समयमे भरल गेल फार्म सं कएल गेल।

    परीक्षाक समय भेल वीडियोग्राफ्रीक मिलान सेहो फोटो सं कएल गेल। एतबे नहि फार्म भरबा सं नामांकन तककें हस्ताक्षर सं मिलान कएल गेल। परीक्षाक समय नाम आ एतयके नाम सं मिलान कएल गेल।