मधेपुरामे नहैर टूटला सं सैकड़ो बीघा गहूम आ मकई बर्बाद

    0
    324

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: ईटहरी पंचायतक खावन गामक समीप नहैर टूटला सं दू टा पंचायतक सैकड़ो एकड़मे लागल मकई आ गहूंमक फसल डूबि गेल। आलमनगर दक्षिणी पंचायत एवं ईटहरी पंचायतक सैकड़ो किसान अहि सं प्रभावित भेल अछि। फसल डूबलाक कारण किसान काफी परेशान अछि। फसलकें बचेबाक लेल किसान कोनो तरहे जद्दोजहद कय रहल अछि। खावन नहैरमे अचानक पानी छोड़लाक कारण ई स्थिति उत्पन्न भेल अछि।

    नहैर टूटलाक कारण पैघ संख्यामे किसान प्रभावित भेल अछि। किसानक कहब अछि जे, नहैरक छहर कमजोर छल। एहेनमे अचानक पानि छोड़लाक कारण तटबंध टूटि गेल। तटबंध टूटलाक कारण किसान सुरेश मंडल, दिनेश मंडल, मालाकार मंडल, सहदेव मंडल, बुधो मंडल, दिलीप मंडल, लक्ष्मण शर्मा, रंजीत मंडल, शंभू मंडल, सुधीर मंडल, नेवल मंडल, हिरा मंडल, जगदीश मंडल, अजय मंडल, शंकर मंडल, उमेश मंडल, प्रकाश मंडल, लालो मंडल, विपिन मंडलक फसल डूबल अछि।

    बाढ़ि प्रभावित अहि इलाकामे गहूंम व मकईकें फसल किसानक लेल अहम अछि। एहनमे फसल डूबला सं किसानक साल भरि गुजारा कोना होएत। आब किसानक कहब अछि जे, हमर सबहक पूरा फसल डूबि चुकल अछि। एहनमे साल भरि कोना गुजारा होएत। बाढ़ि प्रभावित इलाका रहलाक कारण एतय अन्य फसल नहि होइत अछि।