हरीश रावत मंगलनि मांफीः मिथिल मिरर एक्सक्लूसिव

0
343

दिल्ली, मिथिला मिरर-कमलेश मिश्रः भारतक जग-जननी मां सीता पर केंद्रीय मंत्री हरीश रावतक कैल गेल टिप्पणीक बाद जाहि तरहक विरोध भेल ओहिक बाद आखिरकार केंद्रीय जल संसाधन मंत्री आ कांग्रेस नेता हरीश रावत बृहस्पति दिन सांझ में मिथिला मिरर आ मिथिला राज्य निमार्ण सेना आ अन्य मैथिली संगठनक प्रतिनिधिक सोंझा मांफी मंगलनि। हरीश रावतक सरकारी आवास 9 तीनमूर्ति लेन पर भेल भेंटघांट में हरीश रावत कहलनि जे हमर ओहन कोनो विचार नहि छल जे हम मां सीता के अपमान करियैन। हम स्वयं एकटा सूर्यवंशी परिवार में जन्म लेने छी आ सूर्यवंशीक परिवार में सब सं पहिने मां सीताक पूजा होईत छनि।
हरीश रावत कहलनि जे मीडिया हमर बयान के गलत तरीका सं प्रस्तुत केलक। हम इ कहने रही जे जौं बीजेपी त्रेता युग में रहैत त ओ मां सीता के सेहो विदेशी बना दैत। ओहि समय अंग प्रदेश अलग छल, मिथिला अलग छल, अबध सेहो अलग। अहिना भारत में कतेको अगल प्रदेश छल, मुदा मीडिया हमर बयान के परिपेक्ष बदलि देलक। संगहि हरीश रावतक घर पहुंचल प्रतिनिधि मंडल के हरीश रावत आश्वासन देलनि जे अपने सब मिथिला राज्यक मांगक लेल भीड़ एकत्रित करू ताहिक बाद हम अपने लोकनिक संग छी। हरीश रावत मांफी मांगी स्वयं के बयान सं अलग त कय लेलनि मुदा एक बेर फेर सं ओहने बात चरितार्थ भेल जे नेता लोकनिक मुंह में जे किछु ऐलनि ओ बजैत गेलथि जखन मीडिया जवाब तलब केलकैन त कहि देलनि जे मीडिया हमर बात के तोइर-मरोइर क पेश केलक। आखिर अहि देशक कर्णधार सबहक बदजुबानी कहिया बंद होयत से नहि जानी आ इ लोकनि कहिया तक मीडिया पर अपन दोष मढैत रहतैथ से त समय बताओत ?