तेजस्वीक सवाल पर जदयू आ भाजपाक पलटवार, लालू-राबड़ीक सरकार अछि बेरोजगारी लेल जिम्मेदार

0
573

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे राजनीतिक बयानबाजी बढ़ल जा रहल अछि। विपक्ष द्वारा मनाओल गेल राष्ट्रीय बेरोजगारी दिवस पर आब सत्ताधारी दल पलटवार कएलक अछि। दरअसल आई नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ प्रधानमंत्री मोदी सँ बेरोजगारीक मुद्दा पर 17टा सवाल पूछने छलाह। एहि पर आब भाजपा आ जदयू दुनू पलटवार कएलक अछि।  उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलनि अछि जे तेजस्वी यादव जाहि बेरोजगारी, आईटी पार्क, कल-कारखाना आदि पर सवाल एनडीए सरकार सँ पूछी रहल छथि, हुनका ई सवाल अपन माता-पिता सँ पूछबाक चाही। जिनका कारण बिहार खोखला भ’ गेल छल। एतबे नहि कर्पूरी ठाकुर केँ उदहारण दैत कहलनि जे आखिर एहन कोन कारण छल जे कर्पूरी ठाकुर दू बेर मुख्यमंत्री रहला बावजूद अपन घर तक नै बना सकला। मुदा लालू यादव अपन कार्यकाल मे हरेक काज लेल जमीन लिखबाबै लगलाह आ आई ओ अकूट सम्पति केँ मालिक छथि।

दोसर दिस बिहार सरकारक सूचना एवं जनसंपर्क मंत्री नीरज कुमार नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी पर खूब बरसलाह आ सरकार विरोधी बयान पर कटाक्ष करैत तेजस्वी केँ भ्रष्टाचारक राजकुमार केँ उपाधि द’ देलनि। नीरज कुमार कहलनि जे तेजस्वी शायद बिसरी गेलाह जे हुनक पैतृक गाम सँ नानिगाम धरि सड़क नीतीश कुमारक कार्यकाल मे बनल अछि। नीतीश पर सवाल करबा सँ पूर्व अपन परिवार सँ सवाल करबाक चाही छल।

लालू राज केँ याद करैत कहलाह जे हुनका राज मे नौकरी केँ नाम पर कोना ठगी क’, जमीन हासिल कएल जाइत छल कीनो सँ छिपल नै अछि।  मौजूदा सरकार तमाम ओही जगह तक सड़क, बिजली, पानि पहुँचा देलनि जतय केँ स्थिति नरक सन छल। हमला करैत कहलाह जे आब लालटेन गाम-गाम धरि मिझा गेल अछि आ सभ जगह बल्ब जरैत अछि। हुनक जनाधार खत्म भ’ रहल छनि तेँ अनर्गल बयानबाजी क’ रहलाह अछि। सभसँ पैघ बात बेनामी संपत्ति पकड़ल गेल अछि त’ दर्द होयब स्वाभाविक छैक।