समस्तीपुरमे उग्र ग्रामीण केलक थाना पर हमला, थानाध्यक्ष सहित 6 गोटे जख्मी

    0
    340

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: चारि सालक एकटा बच्चीकें पुलिस जीप सं लागल ठोकरकें कारण आक्रोशित ग्रामीण थाना पर जा जमिकय उत्‍पात मचेलक अछि। ग्रामीण पुलिस पर हमला कय एकटा कारबाइन सेहो लूटि लेलक अछि, जकरा बादमे पुलिस द्वारा बरामद कय लेल गेल। हमलामे थाना प्रभारी सहित छह टा पुलिसकर्मी घायल भए गेल। घटना सोमदिनक समस्‍तीपुरकें हलई पुलिस ओपीकें अछि।

    जानकारीक अनुसार होलीक साँझमे पुलिस जीपक धक्का सं हलई ओपीके दरबा गामक राम प्रवेश सहनीक चारि वर्षीय बेटी अंशु कुमारी जख्मी भए गेल। इलाजक लेल बच्चाकें अनुमंडल अस्पाल लए जायल गेल। ओतय सं चिंताजनक हालतमे बच्चा पटना पठा देल गेल।

    ग्रामीण अहि बातक शिकायत करबाक लेल हलई ओपी पहुंचल, जतय पुलिस ग्रामीणकें भागि जेबाक लेल कहलक। जाहिकें बाद ग्रामीण उग्र भए गेल। उग्र ग्रामीण हलई ओपी पर हमला कय देलक। हमलामे थानाध्यक्ष सहित छह पुलिस कर्मी जख्मी भए गेल।