सड़क पर धनरोपनी क’ जतोलनि आक्रोश

0
613

दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा जिला सिंघवारा प्रखंड अंतर्गत मनिकौली पंचायतक पनिसल्ला चौकसँ  महिसार जेबाक टूटल सड़क पर कीचड़ आ जलजमाव भेलासँ पैदल चलनाइ तक दुर्लभ भ’ गेल अछि। जाहि कारणसँ  आक्रोशित ग्रामीण आ व्यवसायी लोकनि  मुख्य सड़कपर धनरोपनी क’ अपन विरोध जतौलनि संगहि केंद्र आ राज्य सरकारक खिलाफ नारेबाजी सेहो कएलनि। पंचायतक मुखिया राजकुमारी देवीक प्रतिनिधि नथुनी साह आ ग्रामीण सभक कहब छनि जे जनसरोकारसँ  जुड़ल एहि खरंजा सड़कक जर्जर स्थितिकें सुधि कुनो मंत्री, विधायक आ सांसद नै ल’ रहल छथि। आंदोलनकारी राशिद रजा, रामबाबू महतो, मो. सद्दाम, जगन्नाथ साह, मशीउज्जमा, मुन्ना कुमार साह, मो. आफताब बब्लू आदि केँ कहब छनि जे एहि सड़ककेँ  जर्जर होयबाक कारण राहगीर सभकें आवागवनमे परेशानीकेँ  देखयवला कुनो जनप्रतिनिधि नै छथि।  जकर परिणाम अछि  जे रोजाना दर्जनों बटोही जख्मी भ’ जाइत छथि संगहि बाल-बच्चा सभकें स्कूल जेबामे सेहो दिक्कत होइत छनि। जँ  थोड़बो वर्षा होइत अछि त’ पूरा सड़कपर कीचड़क अंबार लागि जाइत अछि। सड़क क्षतिग्रस्त भेलासँ  व्यवसाय सेहो प्रभावित भ’ रहल अछि। गामसँ बाजार तक आवाजाहीमे भ’ रहल समस्याक निदान शीघ्र नै भेल त’ ग्रामीण सभ अतरबेल-जाले मुख्य पथकें जाम करबाक निर्णय लेलक अछि। बतादी जे ई सड़क मधुबनी लोकसभा आ जाले विधानसभा क्षेत्रक  अधीन अबैत अछि। तीन किमी सड़क [खाधिक रूप ल’ लेलक अछि ओकर बाद पंचायतक मुखिया राजकुमारी देवी स्थानीय सांसद आ विधायककें एहि समस्यासँ अवगत करेलनि। ग्रामीण सभ बतौलनि जे लगभग 25 वर्ष पूर्व एहि सड़ककें निर्माण भेल छल ओकर बाद कुनो जनप्रतिनिधि सड़कक मरम्मत पर ध्यान नहि देलाह जकर परिणाम सभक सामने अछि।