मधुबनी मे किराना दोकान मे लागल आगि, लाखोक सामान खाक

    0
    249

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बुधदिनक राति मे आगि लगला सं करीब तीन लाख रुपैयाक सामान जरिकय खाक भय गेल। अहि बावत दुकानदार मनोज साह कहलनि जे, पुरान रंजिश के कारने अहि तरहक घटना के अंजाम देल गेल अछि। ओ कहलनि जे, घटनाक लय स्थानीय थाना मे आवेदन देल गेल अछि। ओतहि अहि संबंध मे थानाध्यक्ष प्रेम कुमार भारती कहलनि जे, घटना के विषय मे जांच चलि रहल अछि।

    दोकानदार द्वारा देल गेल आवेदन मे कहल गेल अछि जे, देर साँझ दोकान बंद कय घर गेलाक बाद मध्य रात्रि मे अज्ञात असामाजिक तत्वक लोक द्वारा आगि लगाओल गेल। जाहि मे दोकानक सब सामान जरि कय खाक भय गेल।