आखिर सबहक आंखिमे कियैक खटकि रहल अछि संविधानक चारिम खाम्ह?

    0
    313

    दिल्ली-मिथिला मिररः बृहस्पतिदिन झारखंडक चतरामे ताजा टीवीक संवाददाता इंद्रदेव यादव आ शुक्रदिन बिहारक सीवानमे हिन्दुस्तान अखबारक जिला ब्यूरो चीफ राजदेव रंजनकें गोली माइर कऽ हत्या कय देल गेल। शुक्रदिन सांझा करीब 8 बजे सीवानक रेलवे पुल लग पत्रकार राजदेवकें अज्ञात हमलावर गोली माइर कय माइर देलक। सीवानक पुलिस अधिक्षक सौरभ कुमार साह अहि बातकें पुष्टि करैत कहलाजे पत्रकार इंद्रदेवकें मृत्यु घटना स्थल पर भय गेल। एखन तक हमलावरक संख्याक पता नहि चलि सकल।
    पुलिस अधिकारीक कहब छनि जे एखन इंद्रदेवक परिवार कोनो तरहक बयान देवाक स्थितिमे नहि छैथ ताहि लेल कोनो तरहक बयान परिवार सं नहि लेल जा सकल अछि। घटनाक बाद बीजेपीक प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन ट्वीट कऽ अहि घटनाक निंदा करैत कहला जे इंद्रदेव एकटा निर्भीक लिखैय वला पत्रकार छलथि, हुनका गेला सं पत्रकातिरक जगतकें एकटा अपूर्णिय क्षति कहल जा सकैत अछि। ओमहर बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सेहो अहि घटना पर चिंता जतवैत नीतीश कुमार पर सीधा हमला केलाह।
    चाहे जतेक राजनीतिक दल आ ओकर नेता अहि घटनाक निंदा क लौथ मुदा वास्तविक बात इ अछि जे सब राजनीतिक दल हो आ कि कोनो व्यवसायिक घराना सब पत्रकारकें अपना-अपना स्तर सं इस्तेमाल करैत अछि आ समय ऐलाक बाद ओकरा दूध मेका माछी जेका निकाली क फेंक दैत अछि। मिथिला मिरर अहि तरहक घटनाकें घोर निंदा करैत अछि आ संगहि शनिदिन मिथिला मिरर संपादक सहित अन्य पत्रकार लोकनि कारी कपड़ा बान्हि अहि घटनाक प्रतिकार करताह।