अपन अधिकारक लेल सवर्ण छात्रक प्रदर्शन

    0
    300

    सोनीपत,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः सवर्ण छात्र मोर्चाक दरभंगा इकाई अपन अधिकारक लेल दरभंगा समाहरणालयक सोझा धरना देलनि। छात्र लोकनि द्वारा देल गेल धरनामे सवर्ण छात्रक लेल छात्रावृति, छात्रावास, आवासीय विद्यालय, शिक्षामे प्रोत्साहनक हेतु राशि, नामांकनमे उच्च वर्गक छात्रक लेल सेहो आरक्षण व्यवस्था इत्यादिक मांग कैल गेल। छात्र इकाई सदस्य लोकनिक कहब छलनि जे केंद्र हो कि राज्य सरकार दुनू सवर्ण छात्रक लेल एके रंग नीति निर्धारित केने अछि।
    अगर सरकार सवर्ण छात्रकें समुचित मांग पर विचार नहि करत त अहि मांग कें लय आंदोलनकें आओर तेज कैल जायत। प्रदर्शनमे रचित झा, निशांत झा, कन्हैया झा, सोनू कुमार, कुंदन कुमार, शुभम, नवनीत राज, राहुल वर्मा, निर्मल सिंह सहित कतेको अन्य छात्र लोकनि उपस्थित छेलाह।