बस-ट्रक के ठोकर सं दर्जन भरि यात्री घायल

    0
    290

    मधुबनी, मिथिला मिरर: एनएच 57 पर ठाढ़ बालू सं लादल एकटा ट्रक मे एकटा यात्री बस पाछु सं ठोकर मारि देलक, जाहि मे अठारह गोटे घायल भय गेलाह। सब घायल के सकरी स्थित रामशिला हेल्थकेयर मे भर्ती कराओल गेल। अहि घटना मे एखन धरि ककरो हताहत हेबाक सूचना नहि अछि। जानकारी के अनुसार मंगलदिन राती करीब दू बजे पटना सं फारविसगंज जा रहल डीओ ट्रेवल्स के स्लीपर कोच सकरी मोहन बढ़ियाम के समीप ठाढ़ एकटा बालू सं लादल ट्रक सं टकरा गेल।

    सकरी थानाध्यक्ष सत्येंद्र गुप्ता के अनुसार बस के टक्कर के बाद अज्ञात ट्रक भगबा मे सफल रहल। जहन कि बस मे घायल सब यात्रीक इलाज चलि रहल अछि, बस के जब्त कय लेल गेल अछि। जहन कि बसक चालक व उपचालक सेहो भगवा मे सफल रहल।

    घायल मे रामेश्वर गुप्ता-35, दीपक कुमार साह-25, सौरव कुमार-18, रूबी कुमार-26, संजय कुमार-24, रंजीत कुमार-32, विजेंदर कुमार-36, नवीन कुमार-17, पूजा कुमरी-08, मिथिलेश यादव-23, आयुष कुमार-19, सुलेखा देवी-50, प्रशांत कुमार-18, अनिल कुमार-20 सब सुपौल निवासी छथि। अहि के अलावा अरुण कुमार-40 पटना, सगुवेश्वर झा-65 आरा, प्रदीप कुमार मिश्रा-34 सहरसा निवासी छथि।

    फोटो: काल्पनिक