काज नहि भेटबा धरि आंदोलन पर रहबाक लेल संकल्पित अछि होमगार्डक जवान

    0
    276

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहार रक्षा वाहिनी स्वयं सेवककें तत्वावधानमे होमगार्ड जवानक आंदोलन जारी अछि। जवान जिला समादेष्टाके कार्यालय पर पहुंचकय धरना-प्रदर्शन केलक। जवान डीएम, एसपी आ जिला समादेष्टाकें पत्र लिखकय सरकार पर वादाखिलाफीक आरोप लगेलक अछि। अहि अधिकारीकें लिखल पत्रमे कहल गेल अछि जे, सरकारक निर्देश पर कर्तव्यक आवंटन नहि कए प्रताड़ित कएल जा रहल अछि।

    जवानकें अनुसार सुप्रीम कोर्ट एवं पटना हाईकोर्टके आदेशक बावजूद समान काजक बदले समान वेतनक नहि भेटि रहल अछि। संघक डिस सं अध्यक्ष रामेश्वर सिंह, उपाध्यक्ष श्याम किशोर सिंह, कोषाध्यक्ष घनश्याम प्रसाद एवं कार्यालय सचिव उदय नारायण झा पत्रमे कहलनि जे, वार्ताके बाद पांच अप्रैल कए राज्यपालक आदेश पर हड़ताल सं गेल रहि। हड़ताल सं वापस लौटय पर काज नहि भेटि रहल अछि।

    जवानक आरोप अछि जे, सरकारक प्रधान सचिव आमिर सुबहानी एवं होमगार्ड डीजी पीएन रायकें दिस सं एखन डीएम आ एसपीकें हड़ताली गृहरक्षककें सेवामुक्त करबा आ यातना देबाक आदेश देल जा रहल अछि।