नारकीय बनल सीतामढ़ीक जानकी स्थान जाए वला रस्ता

    0
    264

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बरसातक बाद सीतामढ़ीकें बहुत इलाकामे जलजमावक स्थिति त आम बात अछि। मुदा अहि सबमे सर्वाधिक खराब स्थिति अछि जानकी स्थान चौक सं गोशाला चौक धरि जाए वला रस्ताकेँ। अहि रस्ता पर जलजमाव सं राहगीर आ आसपासक लोक तथा जानकी स्थान जाए वला भक्त अधिक परेशान होइत अछि।

    परेशान लोक जलजमावक स्थायी निदानक मांग केलक अछि, मुदा एखन धरि कियो नहि सुनलक अछि। मोहल्लाकेँ सुनील कुमार, शिवशंकर यादव आदि कहलनि जे, शासन-प्रशासनक ध्यान अहि दिस नहि अछि। यदि समस्याक शीघ्र निदान नहि कएल गेल त 27 अप्रैल कए अहि पथकेंजामकय धरना-प्रदर्शन कएल जाएत।