यूपीएससी परिणाम पर प्रसन्नता जतेलाह डाॅ. शेखर झा

    0
    261

    दिल्ली,मिथिला मिरर-न्यूज डेस्कः जानल-मानल शिक्षाविद आ मंथन आईएएस अकेडमीक संस्थाक निदेशक डाॅ. शेखर झा संघ लोक सेवा आयोग 2015 केर परीक्षा परिणाम पर संतोष व्यक्ति केलाह। डाॅ. पूर्णेन्दु शेखर उर्फ शेखर झा एकटा एहन नाम छथि जे मैथिली भाषा सं सब सं बेसी यूपीएससी आ बीपीएससी देवाक कार्य कैलनि अछि। अहू बेर शेखर झा केर मंथन अकेडमी सं 15 गोट बच्चा सफल रहला जाहिमे रजनी झा’क नाम सेहो शामिल अछि। अपने कें बता दी जे रजनी पहिल मैथिलानी छथि जे मैथिली भाषा सं यूपीएससीक परीक्षा उतीर्ण करवामे सफलता प्राप्त कैलनि अछि।
    मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा सं विशेष बातचीत मे डाॅ. झा कहला जे हमरा ओहिठाम सं 50 गोट छात्र छल जाहिमे सं 15 गोट छात्र सफलता हासिल करवामे कामयाब रहला। डाॅ झा कहल जे मैथिली आब कोनो अन्य क्षेत्रिय भाषा सं बेसी अहमियत राखय लागल अछि आ अहि बातक चर्चा आब नहि सिर्फ मैथिल समाज अपितु संपूर्ण भारतमे कैल जा रहल अछि। निश्चित रूपहिं मैथिलीक लेल इ एकटा सुखद समाचार छैक। हमरा सब पूर्ण कोशिश करब जे अपन परिणामकें शीर्ष 10मे लय कऽ आबि ताकि ओहि सं मैथिली गरिमा आओर बेसी बढ़त।