शहाबुद्दीन प्रकरण पर जेडीयू के बैसक, मुख्यमंत्री सेहो मौजूद

    0
    267

    पटना, मिथिला मिरर: सीवान के पूर्व राजद सांसद शहाबुद्दीन के रिहाई के बाद स जारी घटनाक्रम के लय क सोमदिन जदयू के उच्चस्तरीय बैसक बजाओल गेल। एक अणे मार्ग मे नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे भय रहल अहि बैसक मे जदयू के प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह, मंत्री ललन सिंह, मंत्री विजेंद्र यादव के अलावा किछु और पैघ नेता समेत राज्य के एडवोकेट जेनरल सेहो मौजूद छथि।

    बैसक मे रिहाई के बाद स शहाबुद्दीन के लय क देल गेल बयान के अलावा किछु विधायक के शहाबुद्दीन के लय क कायल गेल सरपरस्ती पर सेहो चर्चाक संकेत भेटल अछि। गौरतलब अछि जे, जेल स निकलला के बाद शहाबुद्दीन नीतीश कुमार के परिस्थिति के मुख्यमंत्री कहने छल। जाहि के लय कय दूनू पार्टी पार्टी दिस सं एक-दोसर पर पलटवार कायल जा रहल छल।

    दोसर दिस गिरधारी यादव के सस्पेंड करबा या हुनका पर कार्रवाई करबा के लय क सेहो जेडीयू पैघ फैसला ल सकैत अछि। रिहाई के बाद जेडीयू के विधायक गिरधारी यादव के शहाबुद्दीन के प्रति अधिक सक्रियता देखग गेल छल।

    पार्टी प्रवक्ता संजय सिंह कहने छलाह जे, गिरधारी यादव के भूमिका पर पार्टी गंभीर अछि आ नेतृत्व हुनका सं जवाब मांगत। ओ कहलनि जे, गिरधारी यादव एहेन नेता पर कार्रवाई हेबाक चाही।