क्रिकेट मैचकें दौरान मारिपीटमे दू गोटे घायल

    0
    283

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शनिदिन विश्व विद्यालय थानाकें आजमनगरमे क्रिकेट मैचकें लय कए भेल विवादमे दू गोटे घायल भए गेलाह। जकरा बाद एक पक्ष दोसर पक्षक लोक पर झुंडमे जा कय हमला कय देलक।

    अहि मामलामे संजीव महतोकें माँथ फाटि गेल अछि। अहिकें बाद सम्प्रदायिक तनावक स्थिति पैदा भए गेल। तत्काल पुलिस पहुंचकय लोककें समझा बुझाकय मामलाकें नियंत्रित केलक।