नोट बंदी मे सहकारी बैंक के पंगु बनेबाक साजिश

    0
    344

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: मधुबनी मे नोट बंदी के बाद जतय एक दिस नवका नोट बदलबाक लेल बढ़ल भीड़ के बैंक द्वारा निर्धारित रुपैयो धरि नहि भेटैत अछि। कारण एकहिटा नो कैश। ओतहि दोसर डिस सहकारी बैकक हाल बेहाल अछि। जाहि कारने सहकारी बैंक पंगु बनल अछि। माधबनी के लोहा पंचायतक पैक्स अध्यक्ष दिलीप झा के अनुसार केंद्र सरकारक नोटबंदी’क प्रक्रिया के आड़ मे देश के सहकारी बैंक के पंगु बनेबाक साजिश रचल गेल अछि।

    ओतहि रहिका प्रखंड पैक्स अध्यक्ष संघ द्वारा देल गेल प्रतिक्रिया मे सेहो अहि बात के पुष्टि कायल गेल अछि। प्रखंड संघ के सचिव प्रेम कुमार झा कहलनि जे, सहकारी बैंक नबार्ड आ रिजर्व बैंकक गाइड लाइन पर चलैत अछि। मुदा सरकार द्वारा जे ई तुगलकी फरमान जारी कायल गेल अछि, ओहि सं किसान मे मायूसी अछि।

    ओ कहलनि जे, सरकार बिना कोनो शिकायत के सहकारी बैंक पर रोक लगा देलक अछि। ओ कहलनि जे, किसान के एखन बैंक स लेन-देन करबाक समय अछि। रब्बी फसल के लेल किसान खाद बीज खरीद करताह। मुदा बैंक किसान के सहयोग नहि कय रहल अछि।