आब बाँद्रासँ सहरसा धरि चलत हमसफर एक्सप्रेस

0
902

सहरसा, मिथिला मिरर : नया सालमे मिथिलामे विकासक गति तेज भ’ रहल अछि, किछु एहने देखबामे आबि रहल अछि। चाहे हवाई अड्डा होई वा एम्स या फेर मिथिला चित्रकला संस्थान वा मिथिलाक कतेको रेलवे स्टेशनक जीर्णोद्धार सभ पर काज तेजीसँ चलि रहल अछि। एहि क्रममे कोसीवासिकेँ एकटा नव ट्रेनक तोहफा भेटल अछि। दरअसल सहरसासँ बांद्रा (मुंबई) लेल हमसफर एक्सप्रेस (22913-22914) चलत। बात एहन अछि जे रेलमंत्री पीयूष गोयल 22टा ट्रेनकेँ विस्तारित करबाक फैसला कएलनि अछि। यात्रि सभक सुविधाकेँ देखैत एक्सपेरिमेंटकेँ आधार पर एहि ट्रेन सभके विस्तारित कएल गेल अछि। कतेको हमसफर एक्सप्रेस आ मेमू ट्रेनकेँ एक्सटेंड कएल जा रहल अछि। बांद्रासँ पटनाक बीच चलय वला गाड़ी संख्या 22913/22914 पटना एबाक बाद बहुत देर ठाढ़ रहैत छल। बहुत दिनसँ सहरसासँ ट्रेनक माँग कएल जा रहल छल। एहिकेँ देखैत एहन तरहक निर्णय लेल गेल। रेलमंत्रीक एहि कदमसँ यात्री सभके बहुत लाभ भेटत। कोसी क्षेत्रसँ बड्ड पैघ संख्यामे लोकसभ मुंबईमे रहैत छथि। एहनमे आब एहि क्षेत्रक लोक सभके समस्या किछु हद धरि कम होयत।

पूर्व मध्य रेलवेक मुख्य जनसंपर्क अधिकारी राजेश कुमार बतौलनी जे कोसीवासिक सुविधाकेँ लेल  सहरसा-बांद्रा (मुंबई) साप्ताहिक ट्रेन चलाओल जायत। जल्दिये एहि ट्रेनकेँ चलेबाक तिथि घोषित कएल जायत। एहि ट्रेनके चललासँ खगड़िया, बेगूसराय सहित आन ठामक लोक सभ सेहो लाभान्वित होयत। ई ट्रेन सहरसासँ खगड़िया-बेगूसराय-पटना- जबलपुर-भूसावल- उधना-वलसाड होइत मुंबई जायत। सहरसासँ खुजलाक बाद ई ट्रेन बेगूसराय आ खगड़ियामे सेहो रुकत।

मालूम होयत जे सहरसाक रस्ते कटिहारसँ आनंद विहार लेल चंपारण हमसफर एक्सप्रेसक परिचालन सेहो कएल जा रहल अछि। आब सहरसासँ दिल्ली आ मुंबई लेल ट्रेनक परिचालन शुरु होयबासँ कोसीवासिकेँ महानगर आबय जायमे कोनो परेशानी नै हेतनि। कोसी क्षेत्रक जनता सभ रेलमंत्री द्वारा उठाओल गेल एहि ऐतिहासिक कदमकेँ स्वागत केलनि अछि। लगैत अछि आबय वला समयमे पूर्व रेलमंत्री ललित बाबूक सपना जल्दिये साकार होयत।