शककें विवादमे पत्नीक फांसी लगा कए हत्या

    0
    259

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुरमे एकटा महिलाक संदिग्ध हालतमे मौत भए गेल। हत्याक आरोप महिलाक पति पर लगाओल जा रहल अछि। परिवार वलाक आरोप अछि जे, युवक शकके आधार पर पत्नीक हत्या कए देलक अछि।

    घटना पूसा थाना क्षेत्रक हरपुर गामक बताओल जा रहल अछि। मृतकक नाम रूबी देवी बताओल जा रहल अछि। मृतकाक परिवार वलाक अनुसार पति जबरदस्ती पत्नीक गरदनिमे फंदा लगा कए हत्या कए देलक। मृतकाक मां कहलनि जे, बियाहक बादे सं पति दीपक कुमार अपन पत्नीके संग मारिपीट आ शक करैत छल।

    मृतकाक पति कोनो रिश्तेदार सं बात करबाक विरोध करैत छल आ सब बात पर अपन पत्नीकें शकक नजरि सं देखैत छल। अहिकेँ लए दुनू पति-पत्नीकें बीच विवाद होइत रहैत छल। विवादक कारण पति पत्नीकें फंदा लगा कए हत्या कए देलक।

    अहि मामलामे पूसा थाना कार्रवाई करैत हत्याक आरोपी दीपककें गिरफ्तार कए लेलक अछि। हांलाकि जहन अहि मामलामे पूसा थानाध्यक्ष सं सवाल कएल गेल त कुछ बतेबा सं मना कए देल गेल।