बालात्कार करबाक लेल पहुँचल युवक के महिला केलनि संघार

    0
    356

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बरौनी थाना क्षेत्रक निंगा गाम मे दुष्कर्मक करबाक प्रयास पर आरोपी के टुकडा-टुकडा कय देबाक घटना प्रकाश मे आयल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, आरोपी रामाशीष वर्तमान मे एकटा रेल कर्मचारी छल, बृहस्पति दिन राति मे धारदार हथियारक संग महिला कविता देवी के घर मे घुसि गेल। जकरा बाद दुष्कर्म करबाक प्रयास केलक। मुदा महिला सतर्कता सं ओहि धारदार हथियार स व्यक्ति पर बहुतो बेर प्रहार कय हत्या कय देलक।

    एम्हर स्थानीय लोकक अनुसार महिला किछु दिन पहिनहि गाम मे घर बना अप्पन बच्चाक संग रहबाक लेल आयल छल। महिलाक पति बेंगलुरू मे मजदूरी करैत अछि। घटना के सूचना भेटतहि मौका पर पहुंचि कय पुलिस मामलाक छानबीन मे जूटि गेल अछि। डीएसपी सेहो मृतक के गलत नियत स घर मे घुसि कय बलात्कार करबाक प्रयासक बात कहलनि।