मुजफ्फरपुरमे नोकरीक झांसा दए छात्राक संग दुष्कर्म

    0
    325

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: नोकरीक झांसा दए मनियारी थाना क्षेत्रक एकटा किशोरीक संग बुधदिन मोतीझील स्थित होटल पूजामे दुष्कर्मक सूचना पर नगर थानेदार केपी सिंह महिला पुलिस अफसरक संग पहुँचलाह। होटलक कमराकें खुलेला पर आरोपीकें रंगल हाथ घिनौनी करतूत करैत गिरफ्तार कएल गेल। किशोरीक सुरक्षामे पुलिस होटलक ओहि कमराकें सील कए देलक।

    पुलिस पूछताछमे किशोरी कहलनि जे, नोकरीक झांसा दए होटलकें समीप बजाउल गेल छल। युवक सं किशोरीकें तीन-चारि महीना सं जान-पहचान छल। पीड़िता शहरक एकटा महिला कॉलेजक छात्रा छथि। बताओल गेल अछि जे, आरोपी बातचीत करैत होटलक कमरामे लए गेल आ कमरा बंद कए दुष्कर्म करए लागल।

    गिरफ्तार आरोपीक पहचान सकरा थाना क्षेत्रक मिश्रौलिया इलाकेके हरेराम कुमारक रूपमे भेल अछि। अहि संबंधमे किशोरीक बयान पर पॉस्को एक्टके तहत प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। नगर थानेदार कहलनि जे, आरोपीकें अहि मामलामे जेल पठा देल गेल अछि।