कहिया हेतई समस्तीपुर आ बेगूसराय के जोड़य वला सड़कक उद्धार

    0
    252

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर एवं बेगूसराय जिलाक जोड़य वला रोसड़ा-बटहा मुख्य मार्ग खाइध मे तब्दील भेल अछि। अप्पन जर्जरताक दंश झेलि रहल अहि सड़क के उद्धारकक दरकार अछि। रोसड़ाक मब्बी रेलवे ढाला सं बेगूसराय जिलाक सागी चौक धरि जाय वला 03 किलोमीटर लंबा अहि सड़कक बीच लगभग तीन दर्जन खाइध बनल अछि। जाहि के कारण लोक के अहि सड़क पर यातायात मे कठिनाई होईत अछि।

    रोसड़ा के बहुतो पंचायतक लोक बेगूसराय जेबाक लेल निकटतम रस्ता हेबाक बावजूद जर्जरताक कारण लंबा दूरी तय कय सफर करैत अछि। वर्षों सं मांगक बावजूद विभाग एवं सरकारक नजरि अहि दिस नहि पड़ल अछि। जाहि के कारने ई सड़क विकासक रोशनी सं अलग-थलग पड़ल अछि। सहियार, उदयपुर, गोविन्दपुर एवं सागी गांमक लोक उक्त सड़कक मरम्मतक लेल बहुतो बेर शासन एवं प्रशासन के ज्ञापन सौंपि चुकल अछि। बावजूद आय धरि सड़क निर्माण त दूर, पैघ-पैघ खाइध मे मईट तक नहि देल गेल अछि।

    आब अहि गांमक लोक सड़क मरम्मतक लेल आंदोलनक मोन बना लेने अछि। भाकपा के गोविन्दपुर शाखा अविलंब सड़क निर्माणक कार्य प्रारंभ करेबाक अन्यथा चरणबद्ध आंदोलन प्रारंभ करबाक चेतावनी देलक अछि।