धरना-प्रदर्शन’क लेल मधुबनी के मीड-डे-मील वर्कर्स यूनियन के बैसक

    0
    414

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर मे रविदिन मीड-डे-मील वर्कर्स यूनियन’क एकटा बैसक स्थानीय ललित कर्पूर स्टेडियम मे बजाओल गेल छल। जकर अध्यक्षता छेदी राम केलनि। बैसक मे मुख्य अतिथि के रूप मे पहुंचल प्रेमकांत दास कहलनि जे, रसोईया के आठ सूत्री मांगक समर्थन मे 21 दिसम्बर क जिला पदाधिकारी के समक्ष विशाल धरना प्रदर्शन होयत।

    अहि मे झंझारपुर अनुमंडल स अधिक सं अधिक रसोईयाक भागीदारी सुनिश्चित करबाक आह्वाहन कायल गेल। रसोईयाक मांग मे प्रति माह अठारह हजार रुपैया वेतनक निर्धारण, मीड डे मील वर्कर्स के सरकारी सेवकक दर्जा, 2013 मे घोषित वेतन वृद्धि के लागू केनाइ, छंटनी बंद करबाक लेल, पर्याप्त बजट आवंटन, निजीकरण व केन्द्रीय रसोई घर तथा एनजीओ पर रोक लगेबाक, मातृत्व अवकाशक गारंटी के संग-संग इलाज तथा आपात सेवा सुनिश्चित करेबाक मांग शामिल अछि।